Ad Code

Responsive Advertisement

प्राणमाइझ बंशावलीके पृष्ठभूमि

 




थारु जाइतमे बहुत वंश सबमे प्राणमाइझ वंश (हथियार दौलत) एकटा सागर जखा बृहत् रूपमे छै या परिचित भी छै। यी प्राणमाइझ वंशावली के सन्तति नेपाल के छ जिल्ला सिराहा, सप्तरी, उदयपुर, सुनसरी, मोरङ और झापामे उल्लेखनीय रुपमे व्यवस्थित ढङ्से बसोबास करने छै । ऐ हेतु प्राणमाइझ वंशके सन्तति सबमे जान, पहचान, एकता, गाढा सम्बन्ध बढाईके लेल मिति २०५३ कार्तिक २२ २३ गते सप्तरी जिल्लाके जन्डोल गाममे स्वर्गीय श्री छेङ्गल चौधरीके सभापतित्वमे स्वर्गीय श्री तेतरु चौधरी के सल्लाहमे प्रथम दियादी सम्मेलन भेल रहै। ऐ सम्मेलनके निर्णय अनुसार मिति २०५५ कार्तिक ६ गते स्वर्गीय श्री तेतरु चौधरीके सभापतित्वमे दोसर राष्ट्रिय दियादी सम्मेलन उदयपुर जिल्लाके हडियामे भेलै। ऐ सम्मेलन मे डा. श्री सत्यनारायण चौधरीके प्रयासमे दियादी नामावली गोष्ठी किताब बन्याल गेलै। तेकर बाद मिति २०५७ कार्तिक ७ गते स्वर्गीय श्री नरसिंह चौधरीके अध्यक्षतामे तेसर दियादी सम्मेलन सिराहा जिल्लाके कट्टिटाेलमे सम्पन्न भेलै । ऐ सम्मेलनमे गोष्ठी किताबके परिमार्जन क्याके दिदी, चेली, बेटी, बहन, परिवार (घरबाली) के भी नाम समावेश क्याल गेलै और दियादी उत्थान कोष सोहो खडा क्याल गेलै। तेकरवाद मिति २०५९ कार्तिक १४ गते स्वर्गीय श्री राम गुलाम चौधरीके अध्यक्षतामे प्रमुख अतिथि सर्वश्रेष्ठ पुस्ताके स्वर्गीय श्री देवनारायण चौधरीके उपस्थितिपर सप्तरी जिल्लाके सखुवा गाममे चारिम सम्मेलन सम्पन्न भेलै ।ऐ सम्मेलनपर मूल समितिके राष्ट्रिय सभापति स्वर्गीय श्री तेतरु चौधरी, महिला समितिके अध्यक्ष श्रीमती रुकमादेवी चौधरी चयन क्याल गेलै। एकरवाद मिति २०६१ कार्तिक ९ गते श्री रविलाल चौधरीके अध्यक्षतामे प्रमुख अतिथि गजराज वंशके श्री विष्णुदेव चौधरीके उपस्थितिपर पाँचमा सम्मेलन उदयपुर जिल्ला के बलही गाममे सम्पन्न भेलै ।ऐ सम्मेलनके तथ्याङ्क मुताबिक जम्मा १०२ घर नेपाल सरकारमे स्थायी १३टा या अस्थायी १३ वटा कर्मचारी छेलै । मिति २०६३ कार्तिक १० गते सुनसरी जिल्लाके डकाहामे वंशावलीके राष्ट्रिय अध्यक्ष स्वर्गीय तेतरु चौधरीके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेलै। क्रमश प्रत्येक दुई दुई बरसमे दियादी सम्मेलन करैके उद्देश्यसे मिति २०६५ साल कार्तिक २५ गते सप्तरी जिल्लाके बेङ्गरीमे स्वर्गीय श्री देवनारायण चौधरीके अध्यक्षतामे, २०६७ साल कार्तिक ४ गते सिरहा जिल्लाके लहान मे स्वर्गीय श्री जिलेबी चौधरीके अध्यक्षतामे, २०६९ साल कार्तिक १० गते सिराहा जिल्लाके शिवनगर मे कार्यवाहक राष्ट्रिय अध्यक्ष  स्वर्गीय श्रीमती भगमतिया चौधरीके अध्यक्षतामे, २०७१ साल कार्तिक १९ गते उदयपुर जिल्लाके जमैरिया गाममे मूल मेजमान भूतपूर्व प्रधानपञ्च स्वर्गीय श्री रामदेव चौधरीके आतिथ्यमे राष्ट्रिय अध्यक्ष मुकेशकुमार चौधरी के अध्यक्षतामे, २०७३ साल कार्तिक २७ गते उदयपुर जिल्लाके देउरीमे मूल मेजमान समाजसेवी एवं थारु जातिके पण्डित श्री बासुदेव चौधरीके आतिथ्यमे राष्ट्रिय अध्यक्ष श्री मुकेश कुमार चौधरीके अध्यक्षतामे, २०७५ साल कार्तिक ३ गते सप्तरी जिल्ला के मूल मेजवान गाविस अध्यक्ष श्री परशुराम चौधरी के आतिथ्य मे राष्ट्रिय अध्यक्ष श्री हुकुमलाल चौधरीके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेलै २०७५-७६ मे कोरोना महामारीके कारण २०७७ सालमे हैवाला राष्ट्रिय दियादी सम्मेलन २०७८ साल आश्विन महिनाके ३० गते मोरङ जिल्लाके सुन्दर हरैचा नगरपालिकाके जोगीचर गाममे राष्ट्रिय अध्यक्ष श्री उमेश प्रसाद चौधरीके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेलै।
हालके तथ्याङ्क अनुसार प्राणमाइझ वंशावली (हथियाहा दौलत )के सिरहा जिल्लाके शिवनगरमे चार घर, कट्टीटोलमे छ घर, लहानमे पाँच घर, एकरतियामे दुई घर, सप्तरी जिल्लाके सखुवामे ११ घर, जण्डोलमे ४२ घर, बेङ्गरीमे एक घर, बसहामे एक घर, मधबाेनीमे एक घर, उदयपुर जिल्लाके देउरीमे सात घर ,हडियामे १३ घर, जमैरियामा चार घर, बलहीमे १६ घर, सुनसरी जिल्लाके मैनीमे एक घर, मर्चैयामे तीन घर, पिरारीमे दुई घर, कालाबन्जारमे एक घर, डकहामे चार घर, महौलियामे एक घर, एकम्बामे एक घर, आमगाछीमे एक घर, मोरङ जिल्लाके कानेपोखरी शुक्रबारे डाँडाटोलमे ३ घर, पोखरियामे एक घर, खोर्सानेमे दुई घर, जोगीचरमे ४ घर, बलियामे दुई घर, झापा जिल्लाके नक्कलबन्दामे पाँच घर कैरके जम्मा हम सब १४४ घरधुरी चियै।
और नेपालके बहार प्राणमाईझ वंशावलीके दुईटा देशमे तीनटा घर सोहो छै। श्री राम अवतार चौधरी कट्टीटोल सिरहाके क्यानाडामे, श्री परमानन्द चौधरी कट्टीटोल सिरहाके अमेरिका सिकागो सहरमे, श्री सत्यनारायण चौधरी हडिया उदयपुरके अमेरिका सिकागो सहरमे स्थायी बसोबास कैर रहल छै।
प्राणमाइझ वंशावलीके तथ्याङ्क अनुसार नेपाल सरकारके जागिरमे १४४ घरमेसे स्थायी पाँचटा या अस्थायी करार पाँचटा करके जम्मा १० कर्मचारी छै ।
धन्यवाद 
प्राणमाइझ वंशावली परिवार

Post a Comment

0 Comments

Close Menu